Powered by Blogger.
Home » , » हम पत्रकार

हम पत्रकार

 हम पत्रकार
              दिनेश रसिया

हम छि एकटा पत्रकार
न्याय दिलाबके लेने छि भार
जकर महिमा रहल अछि अपार
मुदा तैयो किया मरैत अछि पत्रकार

कहाबै छि हमहि देशक तेसर आईख
लगाक सूर्यपंखी घोराक पाईख
अन्याय निकाली हमसब ताईक ताईक
सत्य आ निष्ठा पर रहैछि अटल
तैयो किये पत्रकारेके गर्दैन कटल

हम सब करै छि सत्य तथ्यके खोज
सुबह से सामतक चाहे भुखल रही रोज
चाहे रह परे रौदमे खजुरक पात जेका सोझ
तब जाके करबै छि जन्ताके सही बातके अबगत
तैयो किया सब देखाबैये हमरे लग तागत

बाराके मरायल बिरेन्द्र शाह,कक्रा आयल छल आह
तब मरायल दिदी उमा सिंह,जकरा केलक संसार स बिदा
अखन देखु यादब पौडेलके भेल उहे गती,तैयो नै आयल अछि शान्ति
रोकु इ अत्याचार नै त आब करब हम सब मिलक पत्रकार जनक्रान्ति ।।।

2068-6-9

0 comments:

Post a Comment