Powered by Blogger.
Home » » पुलिसबा जनताके मारैय गोली ।

पुलिसबा जनताके मारैय गोली ।


बैसाखमे भेलौय लक्ष्मी पुजा
अषाढमे भेलौय होली
दुुनिया त आब उलटे चलौय
पुलिस जनताके मारैय गोली
गल्ती अइमे पुलिसके एको नै गे दाइ
अपने चिन्हल नेतबा सब एत बनल छै कसाइ
चैतमे जा के सैज रहलय कोहबरके रंगोली
दुुनिया जैन उलटे चलौय पुलिसबा जनताके मारैय गोली


ऊ बीस त हमहु कि कम छी
अनके बात पर फोरेत एत बम छि
अपन आन आब के बुझैय सैज गेलै दंगा टोेली
दुुनिया जैन उलटे चलौय पुलिसबा जनताके मारैय गोली
माघमे आब हेतै भरदुतिया झिझिया खेलब सामामे
हमरा आब के कि कहते हमर हात अछि बढका नेताक पैजामामे
लंका जरनाइ बन्द भगेलै, मधेशमे पसरल य विध्वंसके हुकालोली
दुुनिया जैन उलटे चलौय पुलिसबा जनताके मारैय गोली


माघ मासके लाय आ मुरही खायब आब धन रोपनी मे
मरुवा रोटी जलखैमे भेटै छल, मांस मदिरा बन्दि मे
कतेक जनतासे तौलेबे नेतबा,अइबेर हमहु तोरा सं तौलाली
दुुनिया जैन उलटे चलौय पुलिसबा जनताके मारैय गोली


आस्माानमे पाइन भरल य,आइग समुन्दरमे लगल य
हम त कहै छि लगैय हमरा सरकारे जेन पागल य
मन ते होइये शंकर जेका सब बिष हमहि उठाक पिलि
दुुनिया जैन उलटे चलौय पुलिसबा जनताके मारैय गोली ।


देखु दुनियामे भेलै अन्हेर आइ
बाघक बच्चा बिलैया ठकने जाय
माय गे कोइने पतियाय
भैर दिन खेले निसोखिया सब हमर खुनस होली
दुुनिया जैन उलटे चलौय पुलिसबा जनताके मारैय गोली । ।

दिनेश रसिया २०७२–५–१८/ 4 Sept.2015

0 comments:

Post a Comment