Powered by Blogger.
Home » »

प्रित में हमरा अहाँ,किए ऐना बर्बाद करै छी, नै हमरा सँ बात करै छी, नै हमरा अहाँ याद करै छी!

गीत दिनेश रसिया 
 
 आहाक सगेँ जियब हम सगेँ मरब यौ मीत ,
 गायब मिथिलाकेर गीत गायब मिथिलाकेर गीत ।।
 जिyब सगेँ हम पोखरी महार पर , खेतक माछ खायब सजमैन चार पर दही चुरा सगेँ खायब अँचारक अमृत गायब मिथिलाकेर गीत गायब मिथिलाकेर गीत ।। 
 
 सबरी के बैर जेहेन हमर माछ पान यौ
 घर घर बखारी आ नमहर दलान यौ
 सरसोके फूलस भरल खेतक बीत बीत
 गायब मिथिलाकेर गीत गायब मिथिलाकेर गीत ।। 
 
मेहन्त हमर कमला कोसी बलानसन 
नामी हमही विद्यापती जीक गाम सन
 हो हो हो बारीक बथुवा सन किछो नै मिठ 
गायब मिथिलाकेर गीत गायब मिथिलाकेर गीत ।।
 
 जगमे कतौह नै पाहुन श्री राम सन
 मण्डन अया जी आ उगना भगवान सन 
एत बुद्धक सन्देस बाल बच्चाकेर सीख
 गायब मिथिलाकेर गीत गायब मिथिलाकेर गीत ।।
 
 आहाक सगेँ जियब हम सगेँ मरब यौ मीत , गायब मिथिलाकेर गीत गायब मिथिलाकेर गीत ।।

2 comments:

  1. very nice, typical terai taste ayo
    जिyब सगेँ हम पोखरी महार पर , खेतक माछ खायब सजमैन चार पर दही चुरा सगेँ खायब अँचारक अमृत गायब मिथिलाकेर गीत गायब मिथिलाकेर गीत ।। (Y)

    ReplyDelete