Powered by Blogger.
Home » » --होली विशेष गीत--

--होली विशेष गीत--


फगुआके मदमस्त दिनमामे कमाल भेल जाय
गोरीके वानि देख सैकडो हलाल भेल जाय॥

एक त एल छै बसन्त बहार,
तै परसँ केने सोलह श्रङ्गार॥
घरसँ जौ निकले गोरी,
ऐठ ऐठके जौ चले गोरी॥
सबकऽ हाथमे रङ्ग-अबीर-गुलाल भेल जाय
फगुआके मदमस्त दिनमामे. . .


हेयौ बुढबा कि छौडा की?
लाज सरमके लेनै छै पी,
पीबकऽ भाङ्ग,धुधुर-तारी,
सब मिल मारै पिचकारी॥
उजर चुनरी रङ्गसँ पियर लाल भेल जाय
फगुआके मदमस्त दिनमामे...

@Vidyanand Bedardi,Radio Chhinnamasta FM 101.4 MHz.

0 comments:

Post a Comment